अखिल बिहारी मंच महिला मोर्चा योग संगे सम्मानित केलक मेधावी बच्चा सभ

abmm yog diwas

21 जून 2025 के दिन अंतरराष्ट्रीय योग दिवसक 2025 अवसर पर अखिल बिहारी मंच महिला मोर्चा नई दिल्ली के द्वारा , लाजपत नगर-द्वितीय केर विनोबा पुरी एमसीडी पार्क में एकटा विशेष कार्यक्रम आयोजन कैल गेल । जाहि में योगाभ्यास केर संगे – संगे बिहारक मेधावी बच्चा सभके सम्मानित कैल गेल ।
एहि कार्यक्रम में मुख्य अतिथि लाजपत नगर-द्वितीय परामर्शदाता श्री अर्जुन पाल सिंह मरवाह आ भारतीय लोक प्रशासन संस्थान के प्रोफेसर श्रीमती सुरभि पाण्डेय रहथिन्ह |