महंगाई दर 14 महीना के निचला स्तर पर पहुंच गेल

खाए पीए वला सामान सभ के दाम में कमी सं महंगाई दर 14 महीना केर अप्पन निम्न स्तर पर पहुंच गेल ।

पिछला एक मास मे खाए पीए वला सामान जेना तरकारी, दाइल, आलू, प्याज आ किछु आउर जरूरी सामानक दाम में बेशी गिरावट आयल अछि। एहि कारण देश म॑ थोक महंगाई दर यानी डब्ल्यूपीआई ( थोक मूल्य सूचकांक ) मई २०२५ म॑ आरू घटी क॑ ०.३९% भ गेलऽ अछि । पिछला १४ महीना म॑ सबस॑ कम छै ।