जल्दिए शुरू होएत पटना मेट्रो, आंगुर सं गिन सकैय छि दिन

patna metr logo

पटना आ बिहार वासी सभ लेल जल्दिए एकटा खशखबरी आब वला अछि । पटनाक पहिल मेट्रो कॉरिडोर ‘ब्लू लाइन’ केर पूरा होबक कगार पर अछि । आ एहन उम्मीद कैल जा रहल अछि जे अगिला 60 दिन मे ई पूरा भेलाह के बाद चालू भ जैत । एहन मानल जारहल अछि 15 अगस्त स ई लाइन पर मेट्रो के आवाजाही शुरू भ जैत । पटना मेट्रो रेल परियोजनाक कॉरिडोर द्वितीय केर एलीवेटेड भाग ( पटना जंक्शन सं आईएसबीटी) जेकर दूरी 6.49 किलोमीटर अछि जे लगभग पूरा भ गेल अछि । एहि लाइन पर आब ट्राइल शुरू करअ के तइयारी भ रहल अछि ।

स्टेशन सबक काज अंतिम चरण में अछि और एकरा फाइनल टच देएल जा रहल छय । ई कॉरिडोर स्टेशन सभ अछि मलाही पकरी, खेमनीचक, भूतनाथ, जीरो माइल आ आईएसबीटी । खेमनीचक इंटरचेंज स्टेशन अछि जतअ पहिल कोरीडीर के लेल ट्रेन बदलि सकैय छी ।