टैक्सपेयर्स 31 दिसंबर तक फाइल करू अप्पन ITR

आयकर विभाग वित्तीय वर्ष 2024-25 (आकलन वर्ष 2025-26) के लेल आईटीआर दाखिल करय अंतिम तिथि बढ़ा देलक । पहिले ई 16 सितंबर 2025 छल मुदा पोर्टल में तकनीकी समस्या के कारण एकरा एक दिन बढ़ा देल गेल छल । एकर बादो बड्ड लोग सभ समय पर आईटीआर दाखिल नय क सकलाह । जिनका सभ लेल ई तारीख आब 31 दिसंबर क देल गेल अछि। आयकर विभाग के आंकड़ा क अनुसार एखन 16 सितंबर तक एहि पोर्टल पर 13.43 करोड़ यूजर क पंजीकरण केने छथि । एहि मे स 7.53 करोड़ रिटर्न दाखिल केलक, जखन कि 6.51 करोड़ रिटर्न क सत्यापन भेल अछि ।

देरी सं रिटर्न 31 दिसंबर, 2025 तक दाखिल कैल जा सकय छै ।.देरी सं दाखिल करय कें लेल आयकर अधिनियम में ₹5,000 जुर्माना कें प्रावधान छै । संगहि, सेहो ब्याज देय होएत ।