National Census 2027 क लेल अधिसूचना जारी भेल
केन्द्र सरकार राष्ट्रीय जनगणना २०२७ के संबंध म॑ आखिरकार अधिसूचना जारी केल देलक। अधिसूचना के मुताबिक ई जनगणना १ मार्च २०२७ क॑ राइत क॑ आधार मानैत देश केरऽ अलग अलग भाग में करलऽ जाएत । मुदा लद्दाख, जम्मू-कश्मीर के किछु हिस्सा, हिमाचल प्रदेश आ उत्तराखंड में तारीख १ अक्टूबर २०२६ के आधार मानल जैत । आ ई हिसाब सं जनगणना होएत ।
जनगणना दू चरण में पूरा कैल जाएत
पहिल चरण : ई में आवास जनगणनाक चरण मे सभक घरक स्थिति, ई मे उपलब्ध सुविधाक ( जैना शौचालय, पानी, बिजली ) आ संपत्ति सं संबंधित जानकारी एकत्र कैल जैत ।
दोसर चरण : जनसंख्या जनगणना के इ चरण मे सभ घर मे रहय वला व्यक्ति कें जनसांख्यिकीय, सामाजिक आर्थिक, सांस्कृतिक आ दोसर जानकारी सब एकत्र कैल जाएत ।
अहां सभ सं आग्रह जे अप्पन अप्पन मातृभाषा में मैथिली जरूर लिखाबी ।