बॉलीवुड केर पांच सौ करोड़ टका बिजनेस करअ वला पहिल सिनेमा ?

dhoom three movie

आई काल्ह अहां सभ जरूर सुनत होबय बॉलीवुड के ई फिल्म एतेक बिजनेस केलक त दोसर फिल्म के बिजनेस एत भेल । एतय तक कि आई फिल्म केर सफलताक पैमाना ई सं नय देखल जाई छय जे फलां सिनेमा के कतेक दर्शक पसंद कअ रहल छथि, जबकि सिनेमा के कुल करोबार सएकर अंदाजा लगावल जाएत अछि । आई के समय धरि भले बड्ड सिनेमा पांच सौ करोड़ त सौ करोड़ पहुंच जाएत अछि । मुदा कि अहां सभ के पता अछि जे सब सं पहिल फिल्मक नाम कि रहय जे पांच सौ करोड़ टका वला क्लब में पहुंचल छल ।

उम्मीद अछि अहां सभ में सं किछु गोटा के बुझल हैत त किछु के नय । सभ स पहिले अहां सभ के बता दी कि ई फिल्म के हीरो नय शाहरूख खान रहेत नय सलमान खान । फिल्म के हीरो के नाम जानि क अहां सभ अवश्य चौकि जाएब ।

त चलु बेशी इंतजार नय करत अहां सभ के बता दि कि फिल्म के नाम रहय धूम-थ्री आ ई साल 2013 में रिलीज बेल छल । ई फिल्मक निर्देशन विजय कृष्ण आचार्य केने रहैथ । यशराज बैनर के बनल फिल्म में अभिषेक बच्चन, उदय चोपड़ा, कैटरीना कैफ आ आमिर खान सेहो छलाह । अहां सभ के एतय बता दि ई फिल्म के पहिल सीरीज स बेशी तेज बाइक चलावके क्रेज भ गेल छल । धूम- थ्री में अभिषेक बच्चन – उदय चोपड़ा पुलिसक भूमिका मे रहैथ आ आमिर खान चोरक भूमिका मे । ई फिल्म अप्पन देश में 284.27 करोड़ रूपैया आ दुनिया भर मे 558 करोड़ रुपैया के कुल कारोबार केने छल ।